सुधा मिश्र । बिपन्न आ अतिबिपन्नके लेल स्वास्थ सेवाके केन्द्र रहल नारायाणी अस्पताल विश्वव्यापी महामारीके रुपमे फैलल करोना (कोभिड-१९) के बिमार वीरगन्जमे सेहो देखलापर नेपाल सरकार नारायणी अस्पतालके करोना संक्रमित बिमार बाहेकके सम्पुर्ण सेवा बन्द कय कोरोना अस्पतालमे परिणत केने अछि ।

दैनिक जीवनमे बहुत रंगक बिमारी देखाइ परैत छै कि जे गर्भवती छथिन हुनका डिलेवरी सेवा नहि चाहिँ ? जे सुगरके पेसेन्ट छथिन, ब्लड प्रेस्र के पेसेन्ट छथिन हुनका सभके सेवा नहि चाहिँ ? बच्चा आ बुढके कि ठेकान कखन कि भजेत‌नि ? कि हुनका सभके सेवा बिहिन बनायल जाय ?इयाह आवश्यकता सबके ध्यान रखैत सबटा सेवा सुचारूके लेल समाजिक आन्दोलन धर्नाके अभियान आगु बढायल गेल अछि ।

‘मध्य तराईके जनताके चिकित्सा /उपचार सेवाके पवित्र मन्दिर “नारायणी अस्पताल “के सब सेवा तुरन्त सुचारु कर लकडाउनके बाध्यतासँ आजु चारिम दिन सेहो अपन घरके गेट आगु धर्ना दक निरन्तरता देल गेल अछि ।

‘ई समाजिक आन्दोलनमे एक्यबद्वता जनबबाला महानुभाव सभ सेहो अपन घरके गेटके आगु धर्ना देल तस्बिर समाजिक सन्जालमे राखिक समर्थन जनाक कुम्भकर्ण सरकारके आँखि खोलि । शयेर और सुप्पोर्ट ‘, कहिक जनताके शुभ चिंतक , समाजिक अभियन्ता, जनता समाजवादी पार्टीके युवा नेता, भिजिट मधेसके राष्ट्रिय संयोजक तथा जनताके चहेता गम्छाबाबु ओम प्रकाश सर्राफ आग्रह कयने छथि ।

पर्सा , रौतहट सँ लक सर्लाही तकिके अभियन्तासभ अहि समाजिक आन्दोलन धर्नामे एक्यबद्ध छथि ।बुढ सँ लक बच्चा सभ सहभागी भेल छथि।वीरगन्जबासीके सहयोग आ समर्थन प्राप्त भरहल छनि । जनताके अस्पताल जनतेके होबक चाहिँ । हुनकर सभके अभियान सफल होनि । जनता समाजवादी पार्टीकेे नेता नेजामुद्धिन समानी, महिला नेतृ मनिका सिँह, हुमन राइट हरेन्द्र पटेल लगायत विगत ४ दिनसँ जेनरल सेवा सुचारुके माग करैत धर्ना देने छथि । लकडाउनके पालन करैत अपने घरके प्रांगनमे कारी झण्डा टाँगि धर्ना दति आबिरहल छथि । अन्य सेवा सुचारु नहिभेल तकि धर्ना जारी राखब अो सभ बतोएने छथि ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here