सुधा मिश्र ।
भारतीय जानल मानल अभिनेता  इरफान खान आब अपना सभ बीच नहीं रहला। बुध दिन हुनकर असमायिक  निधन भेला सँ सबितर शोक के लहर अछि।

एक्टर इरफान अपन एक्टिंग सँ  फिल्म इंडस्ट्रीमे एक अलग पहिचान बनेने छलैध। इरफान खान जमीन सँ लक आकाश तकिके सफर केने छलैथ। खान अपन कड़ा संघर्षके बदोलत टीवी सीरियल्स सँ ग्लोबल स्टार बनल छलैथ। टीवी सिरियलसँ एक्टिग शुरु केनहार इरफान बलिउड सँ लक हलिउड तकि अपन छुट्टै पहिचान बनेने छलैथ।एक्टिंग क्षेत्रमे घुसलाके वाद ओ सदैव आगु बढैत रहला। अपन घर जयपुरसँ बोरिया बिस्तर लय बिदा भेल इरफान खानके परिवारके इरफानके एक्टिग प्रति संदेह रहैन।इरफान दिल्लीमे जाकपढि लिखक प्रोफेसर बन्त से इरफानके परिवारके विश्वास रह‌ैन।लेकिन अपन पसन्द अनुसार जिवबाला इरफानके अपन कडा परिश्रम सँ बलिउड अपन छुट्टै पहिचान छल।स्पस्ट वक्ता इरफान सप्ताहमे एकबेर जरुरे अपन स्क्रिप्ट पढैत छला जाहि सँ हुनकर हर किरदार जिवंत लगैत छल।अपन काजमे तन मन दुनु सँ समर्पित रहैत छला।इरफान श्याम बेनेगलके भारत एक खोज सँग चंद्रकान्ता,चाणक्य सनके हिट सिरियलमे एक्टिग केने छलैथ।हुनकर अन्तिम फिल्म अँग्रेजी मिडियम अछि। ‘ अबे महोब्बत हे इसिलिये जाने दिया ।जिद्द होती तो बाहोमे होती ‘डायलोग खुब हिट छलैन ।’कुर्बानीके मतलब बजार सँ किनक लायल बकरीके बलिदानी नहि ।कुर्बानीके मतलब अपन प्रियगर चिजके सेहो बलिदानी होइछै।’ इरफान द्वारा कहलगेल इ बात पर मुस्लिम समुदाय पिताय कय माफी माँगलेल कहल।मुदा हम गलत नहि छी से कहि इरफान अपन बोली पर रहल।इरफान एक भलादमीके साथ साहसीपुरुष सेहो छला।
दिग्गज बॉलीवुड एक्टर इरफान खान लंबा बीमारी के बाद बुधदिन अहि दुनिया के अलविदा कहि देला ।इरफान मुंबई के कोकिलाबेन अस्पतालमें भर्ती छलैथ ।पूरे बॉलीवुड अहि खबर सँ शोकाकुल अछि।लोक सोशल मीडिया पर इरफान के श्रद्धांजलि दरहल। इरफान के निधन लॉकडाउनमे भेला सँ नियमके  बहुत कड़ाई सँ  पालन भरहल। अंतिम संस्कार बुधदिन साँझ 5 बजे मुंबई के वर्सोवा स्थित कब्रिस्तान में भेल। मृत्युु संस्कारमे परिवार आ दुनु बेटा बाबिल आ अयान   छल।
लॉकडाउन के चलते इरफान के अंतिम यात्रा में सिर्फ 20 लोकके जायके इजाजत देल गेल। फिल्म इंडस्ट्री सँ विशाल भारद्वाज आउर तिगमांशु धूलिया शामिल छल। इरफान के फैन बेस बहुत नम्हर होबाक कारण सुरक्षा व्यवस्था कड़ा राखल छल जहिस बॉलीवुड स्टार्स के अंतिम यात्रा में बॉलीवुड सितारा शरीक नहीं भय सके।इरफानके जन्म ७ जनवरी १९६७ मे भेल छल।चारि दिन पहिने शनिदिनक मायके मृत्युु भेल छलैन।बुध दिन असमायिक मृत्युके कारण सभके अलबिदा कहिगेला।भगवान हुनकर आत्माके शान्ति प्रदान करैन।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here