सुधा मिश्र ।
विश्व भरी कोरोना महामारीके चल्ते दुनियाँ तबाह छै। सबके भित्तर डर आ त्रास छै। काल्हि जाहि देश सभके अपन परमाणुपर गुमान छलै ओहोसभ आई एक सुक्ष्म विषाणु लग विवश छै लाचार छै। अहि मुदैया कोरोनाके कुनो दबाइयो नहि छै। रफ्तार अकर एहन तेज छै जे विश्वके हरेक कोना कोनामे अकर जमात छै। बड विचित्र बात छै। अकरा अपन बच्चा जन्माबमे सेहो बेर नहि लगैछै।एक बेर छिकल त ओहि छिकके लसेरसँ बच्चा जन्मैत चलिगेल आ ओहि बच्चाके छुल हाथ आँखि, मुह या नाकके छुलक त बुझु प्रलय आबिगेल। अँहाके जाँनके संकटकेघरी आबिगेल।
अहि मुदैया सँ अपनो बचके छै जगके सेहो बचाबके छै। ताय समाजिक दुरीके नियमके पालना करी।। बेर बेर साबुनपानीसँ हाथ धोइ। घरमे रही सुरक्षित रही कुनो काजबस निकलही परे तँ मुह झापिक सेनिटाइजर लक निकली।बाहर सेहो बेर बेर हाथके सेनिटाइज करैत रही।भीडभाड नहि बनाबी। नहि पाहुन बनी नई किनको नत दिइ। बरु उवाह अन्न जरुरतमन्दके दिइ । अँहाके सकुन मिलत दोसरके पेट भरतै।
पत्ता नहि किछु आदमी किया अतेक लोभी भगेल छैरु ओहो सभ राहतके सामग्री लैत छै जे सभ काठमाडौंके बासी छै। घरपट्टी छै। आ देबहुबाला केहन छै जरुरतमन्दके नहि दअ कतौ उझैल दैत छै। राहतके सामग्री वितरण करसँ पूर्व आंकलन करीजे किनका देबाक अछि। इ संवेदनशील घरी छै ताय कृपया अँहाके
अवस्था गंभीर नहि अछि त राहत पर लोभ नहि करी। अगर राहत वितरण करैछी तँ उदार मोन सँ करु ।प्रचारप्रसारलेल नहि।नहि काल्हि ओ आदमी विवस छलै नहि फेर काल्हि ओ विवस रहतै।
कोरोना भाईरस संक्रमणके सन्त्राससँ विश्व आक्रान्त भरहलमे मुलुकके गरिब, दैनिक ज्यालादारी मजदुरी तथा वेसहाराके जनकपुरधाम रेल्वे स्टेशनमे निःशुल्क भोजनके
व्यवस्था छै।

जनकपुरधाम वडा नम्बर १ के वडा कार्यालय आ स्टेशन एरिया युवा समाजक संयुक्त आयोजनामे जनकपुरक अलपत्र, गरिब, विपन्न, मजदुर तथा वेसहाराके लकडाउन भरिलेल निःशुल्क भोजन भरहल छै।

‘सडकपर केउ भुखल छी त आउ हम सभ भोजन करबलाय तयार छी।ह‍ोटल बन्द छै त नहि घबराउ हमसभ निःशुल्क भोजन करबै छी।ु ,हुनक सभके आग्रह छन्हि। निःशुल्क भोजन दैनिक दिनके ११ बजेसँ सुरु भय रातिके ९ बजे धरि खुवायल जाति छै।
खाना खाय आबबालाके सामाजिक दूरी कायम कय बैसायल जाति छ‌‌ै।खाना खायसँ पहिने साबुन पानिसँ हाथ धोब आ सेनिटाइजर अनिवार्य रुपसँ लगबके व्यवस्था छै।
धन्य छै पावनि भूमि जनकपुर।अत रहनिहारके मोन करुणा दरेग सँ भरल छै। एकके दोसरके फिकिर छै। इयाह तँ मानवता छै।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here