नेपाली कांग्रेस नेता तथा पूर्वमन्त्री गगन थापा, सरकारके बेइमानीमे समाजवादी पार्टीके सेहो संँलग्नता रहल आरोप लगओने छथि ।जनकपुरस्थित पार्टी कार्यालयमे मंगलदिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे नेता थापा, वर्तमान सरकार विगतके सम्झौतासभके बेवास्ता करित विधेयक लाबऽ लागल आरोप लगोने छथि । ओ, विधेयक लाबमे समाजवादी पार्टीसेहो सहयोग कएने बतबएत सरकारके बेइमानीमे समाजवादी पार्टी साझेदार रहल धारणा रखलन्हि । नेता थापा, वर्तमान सरकारके शक्ति दुरुपयोग रोकऽ दंशैकेबाद सडक संघर्षमे उतरबाक बतओलन्हि । संसदके सडकसँ जोड्बाक काज कांग्रेस करताह से हुनकर कहब छल । ओ, आबके मिसन संविधानके संशोधन करऽबएत स्वीकार्य बनएबाक रहल बतओलन्हि ।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here