सुधा मिश्र ।
‘चेहरा हे या चांद खिला जुल्फ घनेरी शाम हे क्या सागर जैसी आँखोबाली ये तो बता तेरा नाम हे क्या’बॉलीवुड एक्टर ऋषि कपूर  बिहृस्पतिदिन  अहि  दुनिया के अलविदा कहि देला।11 महीना तकि  न्यूयॉर्कमें इलाज के बाद जखन ऋषि भारत एलैथ त फैन्स के खुशी के ठेकान नहीं रहलै।  बीच-बीचमें तबीयत खराब होबके खबर मिडियामे अबैत छलै मुदा एना छोरिएक चलि जेता ककरो नहि लागल छल।ऋषि कपूर अपना पाछु पत्नी नीतू कपूर, बेटा रणबीर कपूर आ बेटी रिद्धिमा कपूर साहनी छोडि गेल‌‌ैथ।
ऋषि कपूर सबके छोड़िक त गेल‌थ  लेकिन हुनकर ज़बरदस्त फ़िल्म आर दमदार अभिनय कहियो लोकके  हुनका सँ दूर नहीं कपेतै।ऋषिके फिल्मी करियर राज कपुरके फिल्म  श्री 420 सँ शुरु भेलैन बाबी,कभीकभी,लेलामजनु, दिवाना,प्रेम रोग सन बहुत रास सुपरहिट फिल्म कयक दर्शकमे मोन मन्दिरमे अपन स्थान बनेनेछला।रुप आ गुण दुनुके धनिक कपुरके फेन्स हुनका पर लोटपोट रहैत छल।अपन दिग्गज कलाकारी सँ सभके मोन जितने छला।
ऋषि अपन बेटाके विवाह देखके लेल काफी उत्सुक छलैथ।हुनकर इच्छा छल‌ैन मर सँ पहिने बेटा रणवीरके वियाह देखली।अहि बातचित पर ओ एक इन्टरव्युमे कहने रहैत जे हमर वियाह 27 सालके बयसमे भेल रहे।
ऋषि कपूर के 67 साल के उमेरमें दुनिया के  अलविदा कहला के बाद फिल्म इंडस्ट्री स लक देशभरि शोकके महौल पसरल छै।हुनकर अतिम संस्कारमें  कोरोना महामारीके वजह सँ 25 गोटे मात्र शामिल होब पायल ।जाहिमे परिवार के सदस्य सँ लक बॉलीवुडके दोस्त सेहो शामिल छल।  रणबीर कपूर के गर्लफ्रेंड आ एक्ट्रेस आलिया भट्ट सेहो सभके साथ छल।ऋषि के  मृत्युके खबर सामने एलाके बाद स आलिया भट्ट कपूर परिवार के साथे छल। आलियाके नाम 25 लोकके लिस्ट में शामिल छल जे ऋषि कपूर के अंतिम संस्कार के हिस्सा बनवाला छल। ऋषि कपूर के अंतिम संस्कार के लेल डायरेक्टर अयान मुखर्जी, करीना कपूर खान, अभिषेक बच्चन, अरमान जैन संग आउर लोक पहुंचल छल।ऋषि कपुरके बेटी लकडाउनके कारण दिल्ली सँ अंतिम संस्कार आबि नहि सकल।नीतू कपूर, आलिया भट्ट आ रीमा जैन कनैत ऋषि कपूरके अलविदा कहल।ऋषि कपूर के अन्तिम संस्कार में आलिया भट्ट फोन लेने ठाड नजर आयल ।अनुमान कायल जे ओ ऋषि के बेटी रिद्धिमा कपूर के सँग वीडियो कॉल सँ जुड़ल छल।भगवान हुनकर आत्माके शान्ति प्रदान कर‌ैन।
‘ पृथ्वी राज कपुरके पोता, राज कपुरके बेटा, नितु कपुरके पत्नी,रणवीर आ रिद्विमाके पिता हम ऋषि कपुर छी।हम जन्मे सँ बहुत भाग्यशाली छलौ आ सदैव जीवनमे रहलौ।’ इ ऋषि कपुर द्वारा लिखल गेल पंक्ति अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here