सुधा मिश्र ।
“हमहु अपन बेटीके दुलार कर चाह‌ैत छी ,हम अपन मायबाबुके देखरेख कर चाहैछी लेकिन हुनका सब सँग आरो बाँकी सबगोटाके  सुरक्षित राख ई त्याग करब आवश्यक छै।प्रयोगशालामे देर तैक रहब सामान्य भगेल अछि। प्राविधिक कामकाजके अतिरिक्त, हमरा सबके अपन समूह लाय यातायात आरो खानाके प्रबन्ध तथा व्यवस्थापन करपरै अछि” डा रुना झा।रोगविज्ञानी डा रुना झा नेपालमे COVID-19 परीक्षण सञ्चालन करबला  प्रयोगशालाके अधिकृत निर्देशक छथि। हुनकर टोली दिनमे लगभग असीमित  नमूना सब परीक्षण करै छनि। जे अनियमित अन्तरालमे आइब जाईछै ताहिलेल असीमित काज सेहो करैछनि। हुनकर योगदानके मान्यता दैत UN Women  हुनका कोरोना युद्धमे फ्रन्टलाइनमे भेल पाँच महिला भित्तर चित्रित केनेछनि।
 ई बहुत गर्वक बात अछि।सचमे मिथिला मधेस बहुत गौरवान्वित अछि।गम‌्कैत मिथिला मधेसके माटि विश्वमे सिहैक रहल अछि।खुशी छथि मिथिला मधेसकबासी जे कोरोना भाइरस विरूद्वक सङ्घर्षमे स्वास्थ्यमोर्चाक अग्रपंक्तिमे रहिकए काज कएनिहारि डाक्टर रुना झा विश्वक पाँच महिलामध्य चुनल गेलिह । अो संयुक्त राष्ट्रसँघीय महिला (UN Women)द्वारा चयनित भेलिह।डाक्टर रुना झा टेकु अस्पतालक प्रयोगशालामे कार्यरत छथि। 
बक्चौरा गाममे जन्मल डा.रुना झाके सासुर देपरामे छनि।पूर्वराजदूत धन्नजय झाके बेटी छथिन।हुनकर पतिदेव डा अजय झा क्यानसर रोग विशेषज्ञ छथिन।जनकपुरधामके क्याम्पस चौकमे सेहो घर रहल डा रुना झा के कर्मस्थल काठमाण्डु रहियाल छनि।अहिना ओ सदैब आगु बढैत रह‌ैथ।मिथिलाके नाम चम्काब‌ैत रहथि । हुनकर ई सम्मानके लेल हार्दिक बधाइ एवं शुभकामना !

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here