सुधा मिश्र ।
कोरोना महामारी सँ बचके छै। लकडाउनके नियम पालन करके छै। लकडाउन भेलाके कारण सभके सँगे समय व्यतीत करके एकटा अवसर भेटल छै। बाहर बन्दाबन्दी होबके कारण बाहर सँ किछु जलखई चाहे नास्तापानी मंगा नहि सकैछी। सभ किछु निक नुकुत घरेमे बनाक भरपुर मौजमस्ती करके छै। फेमिली होम पिकनिक मनाक धम गज्जर करके छै।
तँ स्वभाविके छै जे गृहिणीके काजक जिम्मेवारी बढि जेतै। जिम्मेवारी बढितोमे स्मार्ट गृहिणी सभकेउ बन चाहैत छै।कहैत छै No one is perfect .कतौ कतौ आदमी किछु भूलि जाति छै। किछु बिसैर जाति छै। अगर निचा देल किछु जानकारीके अपनायल जाय तभूलचुक सुधारल जाँ सकैय आ स्मार्ट गृहिणी बनल जाय सकैय।
विधि
भरुवा तिमन तरकारी बनबकाल मसलामे किछु मूगंफली बदामके कुट मिला देला सँ तिमन बहुत स्वादिष्ट बनैछै।
पनीरके तिमन तरकारी बनबकाल पनीरके छानिक किछु देर गरम पानिमे राखिदेलासँ पनीरके तरकारी स्वादिष्ट आ नरम बनैत छै।
दहीबाला तिमन तरकारी बनबकाल तिमन उधियेलाके वाद नुन देला सँ दही नहि फटैत छै।
अगर रातिमे बदाम भिजब बिसैर गेल छी त तिमन पकबकाल काँच अर्नेवाके टुकडी धक पकेला सँ बदाम असानी सँ गलिजाति छै आ ओकरा थुरिक मिला देलासँ तिमनके सेहो संवाद बढिजाइत छै।
अगर रसदार तिमन तरकारी करु भगेल अछि त घी मिला देला सँ कम भजाति छै।
रसवाला तिमन तरकारी नुनगर भगेल अछि त उसनल अल्लुके फोडिक तिमनमे मिलाक गरमा देला सँ नुनगर कम भजाति छै।
दही धेला सँ तिमन तरकारीके रस खट्टा भगेल होय त एक चम्मच चिन्नी मिला देला सँ खट्टापन कम भजाति छै।
भिंडी अर्थात रमझिमनीके तिमन तरकारीके लसलसापन दूर करलाय बनबकाल नुन अन्तमे राखी।नेबुके रस गारला सँ सेहो लसफस दुर होबक सँग संवाद बढी जाति छै।
हरियर तरकारीमे दु चम्मच दूध राखिक पकेला सँ रंग नहि उडे छै।
अगर तरकारी उसैनक बनबके होय त उसनैत कायल नुन धक उसन लाय सँ रंग नहि बदलल ।देखमे निक लागल।
तरकारीके अपने रंग रहे अहिलेल तरकारी बनबैत काँल एक चम्मच चिन्नी राखिक पकाबी।
तिमन तरकारीके तेलमे तर चाहे भुज सँ पहिनेकिछु बुन्द भिनेगर तेलमे धेलासँ तरकारी स्वादिष्ट बनैत छै।
स्वादिष्ट तरकारीके रस बनबलाय प्याज, लहसुन अदरक सँग दु चारिटा दाना मुंगफली बदामके पिसक मिलेला सँ रस स्वादिष्ट बनैत छै।
प्याजके सोहिक पानिमे किछु देर डुबाक काटला सँ आँखिमे करु नहि लगैत छै।हँसि हासिक प्याज काटिसकैछी।