सुधा मिश्र ।
पैसा एक व्यक्तिसँ दोसर व्यक्तिमे आदानप्रदान होइत रहैत छै।किछु किनबेसाहके बेगरता सभके रहैत छै। ग्राहक सँ दोकानदार आ दोकानदार सँ दोसर ग्राहक हाथ पैसा चलायमान रहैत छै। एक व्यक्ति के हाथ सँ दोसर व्यक्ति के हाथमे पहुँचैत रहके कारण पैसासँ कोरोना वायरसके संक्रमणके जोखिम उच्च छै।
कोरोना वायरस के संक्रमण सँ बाचके लेल लोक मास्क पहिरब,बेर बेर हाथ सेनिटाइज करैत रहब आ समाजिक दुरी बनेने रहब त अचुक दबाई छै । तहिना पैसा सँ दुरी बनेनाई अर्थात पैसा छुलाक वाद हाथ सेनिटाइज केनाई
तेतबे जरुरी छै।
दैनिक रूपमे प्रयोग होबबाला पैसा सोंचब सँ बेसी गंदा रहैत छै।पैसा जहितहि हाथ सँ छुवाइत रहके वजह सँ अहिमे बहुतो रास किटाणुके बाँस स्थान भजाति छै। प‌ैसा बहुत गंदा होबके कारण अकरा संक्रमणरहित बनाक राखब जरुरी छै।
पैसाके एकेटा नोटमे सेहो संक्रमण फैलाब जोग सयो प्रकारके ब्याक्टेरिया, फंगस तथा वायरस होइत छ‌ै।पैसाके मनमानी ढंग सँ जेनातेना छुल त जाइछै मुदा लोकके अकर सफाईके चिन्ता साफे नहि रहैत छै। एक तरह सँ कही त लोक पैसाके गंदा मानितो नहि छै। पैसा छुलाक वाद हाथ साबुनपानी सँ धोअब कहियो सँ लोक जरुरी नै मानियायल छै।
पैसा डाक्टर सँ लक बिरामी तैकके हाथ पँहुचैत छै।रोग सँ संक्रमित आ निरोगी सभके हाथ गेला सँ पैसा विभिन्न रोगके संवाहक भसकैछै। स्वास्थ्य विज्ञके अनुसार कागजके रुपैया सँ बेसी क्वाइनमे वायरस ब्याक्टेरिया जिवित रहैत छै। कागजक नोटमे दु दिन तैक जिवित रहबाला वायरस ब्याक्टेरिया क्वाइनमे लम्बा समय तैक जिवित रहैत छै। स्विस अध्ययनके अनुसार तँ पैसामे बारह दिन तैक जिवाणु बाँचल रहि सकैय।
एक अध्ययनमे कहल अनुसार १० प्रतिशत कोरोना भाइरस ४ घण्टा तकि मात्र नोटमे जिवित रहि सकैय। जकरा रातिभर सुख्खा ठाममे राखिक या २ घण्टा रौदमे सुखाक सामान्यतया संक्रमणरहित कायल जाँ सकैय।
क्वाइनके स्प्रिट या स्यानिटाइजरसँ सफा कय रौदमे सुखाक सुरक्षित बनायलजाय सकैय।
पन्जा लगाक मात्र पैसाके कारोबार करी, पैसाके भान्स घर, बैठक या सुतबाला ठाम सँ दुर राखी, प्रयोग कायल पैसाके सुख्खा ठाममे पसारिक राखी तथा सामान किन‌ैत काल खुद्रा मिलाक दी जाहि सँ फिर्ता लेब नहि परे।पैसाके विकल्पके रुपमे प्रयोग होबबाला कार्ड सेहो संक्रमण सँ सुरक्षित नहि छै।अनलाइन कारोबारके सुरक्षित मानल गेल अछि।
यी जतेक उपाय कयलोपर सबसँ प्रभावकारी उपाय जे पैसा छुलाक बाद हाथसँ नाक, मुह तथा आँखि नहि छुबी। साबुनपानी सँ रगरिरगरिकँ हाथ धोई। धोलाके वाद हाथके सफा तौलिया गम्छा सँ पोछिक राखी।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here