सुधा मिश्र ।
विश्वमे त्राहिमाम मचौने अछि कोरोना वायरस। विज्ञान पूरा जोरतोरके साथ लागल अछि अकर समाधानमे। पत्ता नई विधिके कि मंजुर छन्हि ? चैती छठि सन पावनि घरमे मनायल गेल। आशा करी जे नव साल जुड शितलमे अपन श्रेष्ठ सभ घरे घरे जाक चुरुक भरी पानी सँ अपना सभके जुडाब पाबथि।
अखन तैकमे कोरोना वायरसके चल्ते करिब १२ लाख ७६ हजार ५ सय ८७ लाेग संक्रमित भगेल छै। ६९ हजार ५ सय २२ लाेगके मृत्युु भगेल छै। २ लाख ६५ हजार ९ सय ४४ जोग उपचार उपरान्त निक भक घर आबिगेल छै। भारतमे ४ हजार ३ सय १४ लोक संक्रमित छै। १ सय १८ लोकके मृत्यु । ३ सय २८ लोक स्वस्थ्य भक घर गेल। नेपालमे ९ गोटे संक्रमित छै। एक गोटे निक भय घर गेल।
सब सँ भयावह स्थिति अमेरिकामे देखल गेल। कारण खोजला पर भेटल जे ओहिठाम समाजिक दुरी आ मास्क पर खासे ध्यान नई देल गेल छल। ओना इ अकर दवाइ त नई छै मुदा बहुत हद तक अहि सँ बचायल जाअ सकैछै। साबुनपानी सँ बेरबेर हाथ धोयब, घरमे रहब ,बाहर निकलही परे तँ समाजिक दुरी राखि मास्क लगाक निकलब। बेर बेर हाथ सेनिटाइज करैत रहब। अखुनका समयमे इयाह उपाय पैघ छै। कोरोनाके चल्ते बजारमे मास्क सेनिटाइजरके माँग बहुत बढिगेलाक कारण दोकानदार सभ पैसा सेहो उनकेदुन लरहल छै।
तँ किया नई घरमे मास्क बनाबी। एक मिनेटमे मास्क तयार कसकैछी।
सभ सँ पहिने तँ मास्क बारेमे बुझबाक जरुरी छै। मास्क ओ ओढना छै जकरा ओढाक मुह ओ नाकके बन्हिया सँ झापि सकैछी। मास्क तीन रंगके होइत छै। N 95 मास्क जे सेपेसेलाइज्ड लोक कोरोना वायरस पोजिटिभके ईलाज करै छैथ हुनका लेल छै।थ्री लेयर सर्जिकल मास्क जे अस्पतालमे खटैत छथि हुनका लेल छै। अगर इ दुनु मास्क आम आदमी किनको लग अछि त अस्पतालके ददियौ। अस्पतालके जरुरत छै आ अँहाके धर्म हायत।तेसर क्लोथ्स मास्क जे आम लोकके जरुरत छै। अकरा घरेमे बहुत सोझ तरिका सँ बना सकैत छी। पैसा खर्चके कुनो जरुरत नई छै।
मास्क बन्बलाय दुटा रबर कनि बडका साइजके
आ एकटा रुमाल चाहिँ। रुमालके तीन परतमे चोपैत देवके छै तकर वाद दुनु कात सँ रबर घुसियादेबके छै। आब रुमालके दुनु कात स मोरिदेबके छै। तयार भगेल मास्क पहिर सकैछी।
समाजिक दुरी बनाक रहु। बेर बेर साबुनपानी सँ हाथ धोउ। बाहर निकली त मास्क जरुर पहिरी।बाहर रहि त बेर बेर हाथ सेनिटाइज करैत रही। जी आग्रह अछि अपनो सुरक्षित रही दोसरोके सुरक्षित राखी। कोरोनाके भगाक नवसालके स्वागत करके छै।